आलिया भट्ट

भारतीय अभिनेत्री


आलिया भट्ट (/ˈɑːlə ˈbɑːt/; जन्म १५ मार्च १९९३) एक ब्रिटिश भारतीय चलचित्र अभिनेत्री आ गायिका छी। ओ मुख्य रूप सँ बलिउड चलचित्र क्षेत्रमे काज करैत अछि। भट्ट परिवारमे जन्मल, ओ चलचित्र निर्माता महेश भट्ट आ अभिनेत्री सोनी राजदानक पुत्री छी। सन् १९९९ कऽ रोमाञ्चक हिन्दी चलचित्र सङ्घर्षमे बाल कलाकारक रूपमे अपन अभिनयक पदार्पण केलाक बाद, भट्ट करण जोहरक प्रेमप्रसङ्गयुक्त नाट्य स्टुडेन्ट अफ द इअर (२०१२) मे अपन पहिल प्रमुख भूमिका केनए छल, जे आलियाक सर्वश्रेष्ठ महिला पदार्पणक लेल फिल्मफेयर पुरस्कारक नामाङ्कन दिआबऽमे सफल रहल छल।

आलिया भट्ट
Alia Bhatt
२०१९ मे कलङ्कक लेल एक कार्यक्रममे भट्ट
जन्म (१९९३-०३-१५) १५ मार्च १९९३ (उमर ३१)
राष्ट्रियताब्रिटिश[१]
व्यवसाय
  • अभिनेत्री
  • गायिका
सक्रिय वर्ष२०१२–वर्तमान
अभिभावक(सभ)महेश भट्ट
सोनी रज्दान
सम्बन्धीदेखी भट्ट परिवार
पुरस्कारपूर्ण सूची
हस्ताक्षर

भट्ट बलिउडक बहुत रास व्यावसायिक रूप सँ सफल चलचित्रसभमे महिला नेतृत्वक भूमिका केनए अछि, जाहिमे प्रेमप्रसङ्गयुक्त नाट्य टु स्टेट्स, प्रेमप्रसङ्गयुक्त हास्य हम्प्टी शर्मा की दुल्हनिया, नाट्य कपूर एण्ड सन्स, युगल चलचित्र डियर जिन्दगी, आ प्रेमप्रसङ्गयुक्त हास्य बद्रीनाथ की दुल्हनिया शामिल अछि। हुनका सडक नाट्य हाईवे (२०१४), जे हुनका सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर समीक्षक पुरस्कारक उपाधि दिएनए छल, आ अपराध नाट्य उडता पञ्जाब (२०१६), जे हुनका सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक फिल्मफेयर पुरस्कार उपाधि दिएनए छल। ओ दुनू चलचित्रमे आलिया भावनात्मक रूपसँ गहन चरित्रक चित्रणक लेल समीक्षकद्वारा प्रशंसा कएल गेल।

चलचित्रसभमे अभिनय छोड़ि, आलिया महिलासभक लेल अपन स्वयं केर कपड़ासभक स्टोर खोलनए अछि आ कपडा ब्रांड एड-ए-मम्मा, एगो पारिस्थितिकी पहल, कोएक्जिस्ट, आरू एगो प्रोडक्शन कंपनी, एटरनल सनशाइन प्रोडक्शन्स शुरू करलकै । ओ विभिन्न चैरिटी के समर्थन करैत छथि, आ एकटा निवेशक आ प्रमुख ब्रांड एन्डोर्सर छथि । ओ अपन सातटा फिल्मी गीत गाबि चुकल छथि, जाहि मे 2014 मे एकल गीत "समझवन अनप्लग्ड" सेहो शामिल अछि आ मञ्च शो आ साङ्गीतिक कार्यक्रममे भाग लेनए अछि।भट्ट क विवाह अभिनेता रणबीर कपूर स भेल अछि, जिनका स हुनकर एकटा बेटी अछि।

जीवन आ व्यवसाय

प्रारम्भिक जीवन आ चलचित्र पदार्पण

२०१२ मे स्टूडेन्ट अफ द इयरक प्रचारक समय सिद्धार्थ मल्होत्रा (बायाँ) आ वरुण धवन (दायाँ) क साथ आलिया भट्ट

भट्टक जन्म १५ मार्च १९९३ मे,[२][३] भारतीय चलचित्र निर्देशक महेश भट्ट आ अभिनेत्री सोनी रज्दानक लेल भेल छल । हुनकर पिता गुजराती मूलक छी[४][५] आ हुनकर माता कश्मीरीजर्मन वंशक छी ।[६][७][८] निदेशक नानाभाई भट्ट हुनकर दादा छी । हुनकर एक बडकी बहिन, शाहीन (जन्म १९८८)[९] आ दु अर्ध-सहोदर, पूजा भट्टराहुल भट्ट छी । अभिनेता इमरान हाशमी आ निर्देशक मोहित सूरी हुनकर फुफेरा भाई छी, जबकि निर्माता मुकेश भट्ट हुनकर चाचा छी ।[१०] भट्ट अपन प्रारम्भिक शिक्षा मुम्बईक जमनाबाई नरसी स्कूलसँ केलक ।[११]

भट्टक पहिल अभिनयक भूमिका सङ्घर्ष (१९९९) मे एक बाल कलाकारक रूपमे छल, जाहिमे अक्षय कुमारप्रीति जिन्टा अभिनीत अछि, जहाँ ओ जिन्टाक चरित्रक छोट संस्करणक भूमिका निभाने छल ।[१२] २०१२ मे करण जोहरक स्टुडेन्ट अफ द इअरक साथ सिद्धार्थ मल्होत्रा ​​आ वरुण धवनक साथ हुनकर पहिल प्रमुख भूमिका छल ।[१३] ओ एक अत्याधुनिक किशोर लडकी, शानया सिङ्घानियाक भूमिका निभाने छल, जे धवनक चरित्रक साथ सम्बन्धमे छी, लेकिन मल्होत्रा​​द्वारा निभाएल चरित्रद्वारा आकर्षित अछि । बलिउड हङ्गामाक तरण आदर्श हुनकर प्रदर्शनक बारेमे लिखने अछि, "आलियाक भूमिका कभी खुशी कभी गममे करीना कपूरक याद दिलाने अछि । स्टाइलिश, उत्तम दर्जाक, चाँदीक चम्मचक साथ जन्मेल, ओ कोई छी जे सिर्फ अपन कपडा आ ब्याग नै दिखाने अछि, बल्कि हुनकर धन सेहो दिखाने अछि । बेहद प्रकाशक, आलिया सुपर आश्वस्त पदार्पण केनए अछि ।"[१४] हिन्दुस्तान टाइम्सक अनुपमा चोपडा सेहो कपूरक चरित्रक साथ समानताक उल्लेख केने, लेकिन ओ कहने छल कि हुनकर प्रदर्शन "हत्यारा रवैया बिना" छल ।[१५] स्टुडेन्ट अफ द इअर बक्स अफिस पर ९६० मिलियन (युएस$१४.४९ मिलियन) कमाई केने छल ।

फिल्मोग्राफी

चलचित्रसभ

सङ्केत
प्रदर्शित नै भेल चलचित्र जनाएत
वर्षचलचित्रभूमिकाटिप्पणी
१९९९सङ्घर्षछोटकी रीत ओबेरायविशेष उपस्थिति
२०१२स्टुडेन्ट अफ द इअरशानया सिङ्घानियानामाङ्कित—सर्वश्रेष्ठ महिला पदार्पणक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार
२०१४हाईवेवीरा त्रिपाठीसर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर समीक्षक पुरस्कार
नामाङ्कित—सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार
२०१४टु स्टेट्सअनन्या स्वामीनाथन
२०१४हम्प्टी शर्मा की दुल्हनियाकाव्या प्रताप सिंह
२०१४गोइङ्ग होमस्वयम्छोट चलचित्र
२०१४अग्लीछोटकी शालिनीआंशिक उपस्थिति[१६]
२०१५शानदारआलिया अरोडा
२०१६कपूर एण्ड सन्सटिया मलिक
२०१६उडता पञ्जाबमेरी जेनसर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार
२०१६ए दिल है मुश्किलडीजेआंशिक उपस्थिति
२०१६डियर जिन्दगीकायरानामाङ्कित—सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार
२०१७बद्रीनाथ की दुल्हनियावैदेही त्रिवेदीनामाङ्कित—सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार
२०१८वेलकम टु न्युयोर्कस्वयम्आंशिक उपस्थिति
२०१८राजीसेहमत खानसर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार
नामाङ्कित—सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक लेल फिल्मफेयर समीक्षक पुरस्कार
२०१८जीरोस्वयम्विशेष उपस्तिथि[१७]
२०१९गली बोयसफीना फिरदौसी
२०१९कलङ्करूप चौधरी
२०१९स्टुडेन्ट अफ द इअर २अज्ञात"द हुक-अप सन्ग" गीतमे विशेष उपस्थिति [१८]
२०२०सडक २आर्या देसाई/मीशा वर्माछायांकन[१९]
२०२०ब्रह्मास्त्र ईशाछायांकन[२०][२१]
२०२०आरआरआर सीतातेलुगु सिनेमा; छायांकन

म्यूजिक भिडियो

वर्षगीतकलाकारRef
२०१९"प्रादा"द दूरबीन (श्रेया शर्माक साथ)[२२]

डिस्कोग्राफी

ट्र्याकबर्षएल्बमRef(s)
""सूहा साहा"२०१४हाईवे[२३]
"समझावाँ अनप्लग्ड"हम्प्टी शर्मा की दुल्हनिया[२४]
"इक कुडी (क्लब मिक्स)"२०१६उडता पञ्जाब[२५]
"लव यू जिन्दगी (क्लब मिक्स)"डियर जिन्दगी[२६]
"ए जिन्दगी गले लगा ले – २"[२६]
"हमसफर (आलियाक संस्करण)"२०१७बद्रीनाथ की दुल्हनिया[२७]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ